Pages

Saturday, December 20, 2014

८४म सगर रातिक कथा गोष्‍ठी सम्‍पन्न भेल

४८म सगर राति दीप जरय २० दिसम्‍बरक साँझमे शुरू भ' २१ दिसम्‍बर २०१४क भिनसरमे सम्‍पन्न भेल। ८५म आयोजन भागलपुरमे श्री ओम प्रकाश झा केर संयोजकत्‍वमे मार्च २०१५क अन्‍तिम शनिकेँ होएत। ई निर्णए अध्‍यक्ष मण्‍डल एवं संचालन समिति तथा गोष्‍ठीमे उपस्‍थित सबहक विचारसँ भेल। ओना प्रस्‍ताव श्री राजदेव मण्‍डल रमण जीक सेहो रहनि जे लकसेना (मधुबनी)मे हुअए। मुदा सर्वसम्‍मति भागलपुरेक रहल। अत: दीप आ पंजी वर्तमान गोष्‍ठीक संयोजक भावी संयोजककेँ देलखिन। संचालन समितिमे दुर्गानन्‍द मण्‍डल, ओम प्रकाश झा तथा उमेश मण्‍डल छला आ अध्‍यक्ष मण्‍डलमे शिव कुमार प्रसाद, श्‍यामानन्‍द चौधरी तथा सच्‍चिदानन्‍द सचिद। मो. गुल हसन एवं फिरोज आलम स्‍वागत गीत गौलनि, एवं स्‍वतीवाचन शिवकुमार मिश्र। तीन सत्रमे निम्न कार्यक्रमानुसार ऐ गोष्‍ठीक भरि रातिक यात्रा भेल-   
उद्घाटन सत्र- परिचए-पात तथा दू शब्‍द-
उद्घाटनकर्ता-
श्‍यामानन्‍द चौधरी
जगदीश प्रसाद मण्‍डल
पं. सच्‍चिदानन्‍द मिश्र सचिद
मिहिर झा महादेव
ओम प्रकाश झा
शिव कुमार प्रसाद
राजदेव मण्‍डल रमण

पोथी लोकार्पण सत्र-
(१)  डीहक जमीन (विहनि/लघु कथा संग्रह) ओम प्रकाश झाजी केर
लोकार्पणकर्ता-
जगदीश प्रसाद मण्‍डल,
उमेश नारायण कर्ण,
राम विलास साहु।  
(२)  समरथाइक भूत (लघु कथा संग्रह) जगदीश प्रसाद मण्‍डलजी केर
लोकार्पणकर्ता-
ओम प्रकाश झा
सच्‍चिदानन्‍द सचिद
शम्‍भु सौरभ
(३)  गामक शकल-सूरत (लघु कथा संग्रह) जगदीश प्रसाद मण्‍डलजी केर
लोकार्पणकर्ता-
श्‍यामानन्‍द चौधरी
अनुप कुमार कश्‍यप
राजदेव मण्‍डल रमण
उमेश नारायण कर्ण  
(४)  अप्‍पन-बीरान (लघु कथा संग्रह) जगदीश प्रसाद मण्‍डलजी केर
लोकार्पणकर्ता-
बेचन ठाकुर
फागुलाल साहु
मिहिर झा महादेव
रामाकान्‍त मिश्र   
(५)  बाल-गोपाल (लघु कथा संग्रह) जगदीश प्रसाद मण्‍डलजी केर
लोकार्पणकर्ता- 
संजय कुमार मण्‍डल
सूर्य नारायण कामत (सूरज कामत)
शम्‍भु सौरभ
शिव कुमार प्रसाद
(६)  लजबिजी (लघु कथा संग्रह) जगदीश प्रसाद मण्‍डलजी केर 
लोकार्पणकर्ता-
बमभोली झा
दुर्गानन्‍द मण्‍डल
शिव कुमार प्रसाद
गांधी प्रसाद (सरपंच)
(७)  पतझाड़ (लघु कथा संग्रह) जगदीश प्रसाद मण्‍डलजी केर
लोकार्पणकर्ता-  
ओम प्रकाश झा
श्‍यामानन्‍द चौधरी
राम विलास साहु
नन्‍द विलास राय
(८)   रटनी खढ़ (लघु कथा संग्रह) जगदीश प्रसाद मण्‍डलजी केर 
लोकार्पणकर्ता-
अरविन्‍द चौधरी
अनुप कुमार कश्‍यप
कपिलेश्वर राउत
मो. गुल हसन
(९)  शिव दर्शन (पद्य) पं. सच्‍चिदानन्‍द मिश्र
लोकार्पणकर्ता-
ओम प्रकाश झा
शम्‍भु सौरभ
शिव कुमार प्रसाद
कपिलेश्वर राउत
(१०)        अभिलाषा (मैथिली भजनमाला) पं. सच्‍चिदानन्‍द मिश्र
लोकार्पणकर्ता-
श्‍यामानन्‍द चौधरी
बेचन ठाकुर (सरिसव पाही)

(११) सीडी लोकार्पण-
(१) मैथिली गजल: आगमन ओ प्रस्‍थान बिंदु (आलोचना संकलन) सं.सं-   गजेन्‍द्र ठाकुर, आशीष अनचिन्‍हारजी केर
(२) सखुआवाली (विहनि/लघु कथा संग्रह) सं.सं- उमेश मण्‍डलक 
(३) निर्मल सनेस (विहनि/लघु कथा संग्रह) सं.सं- उमेश मण्‍डलक 
(४) देवघरक प्रसाद (विहनि/लघु कथा संग्रह) सं.सं- उमेश मण्‍डलक 
(५) कथा बौद्ध सिद्ध मेहथपा- (विहनि/लघु कथा संग्रह) सं.सं- विदेह-
सम्‍मिलित रूपे लोकार्पण-
जगदीश प्रसाद मण्‍डल
शिव कुमार प्रसाद
ओम प्रकाश झा
राजदेव मण्‍डल रमण
कपिलेश्वर राउत।

कथा सत्र- कथा पाठ एवं समीक्षा-
पहिल पालीमे-
लोकतंत्रक माने- ओम प्रकाश झा-
टेटरा हीरा- नन्‍द विलास राय-
समीक्षा-
श्‍यामानन्‍द चौधरी
फागुलाल साह
शिव कुमार प्रसाद
अनुप कुमार कश्‍यप।

दोसर पाली-
पवित्र पापी- उमेश नारायण कर्ण-
जाति-पाति- दुर्गानन्‍द मण्‍डल
समीक्षा-
राम विलास साहु
राजदेव मण्‍डल रमण
संयज कुमार मण्‍डल
मिहिर झा महादेव

तेसर पाली-
एकर उत्तरदायी के?- शम्‍भु सौरभ
कमतिया हवेली- राम विलास साहु
समीक्षा-
उमेश मण्‍डल
फागुलाल साहु
सच्‍चिदा नन्‍द झा सचिद
बेचन ठाकुर (नाटकार)

चारिम पाली-
खेती-वाड़ी- बेचन ठाकुर
डीहक जमीन- ओम प्रकाश झा
समीक्षा-
शिव कुमार प्रसाद
मिहिर कुमार झा
बमभोली झा
शम्‍भु सौरभ

पाँचिम पाली-
बिआह- गौड़ी शंकर साह
इन्‍फेक्‍शन- फागुलाल साहु
समीक्षा-
कपिलेश्वर राउत
राम विलास साहु
शशिकान्‍त झा
उमेश नारायण कर्ण

छठिम पाली-
पाँच भूत- उमेश नारायण कर्ण
जरि गेल माइक आस- विपिन कुमार कर्ण
समीक्षा-
कपिलेश्वर राउत
नन्‍द विलास राय
ओम प्रकाश झा
अनुप कुमार कश्‍यप

सातिम पाली-
शिव विद्यापति- सच्‍चिदानन्‍द सचिद
भरम- लक्ष्‍मी दास
कलयुगक निर्णए- कपिलेश्वर राउत
समीक्षा-
शम्‍भु सौरभ
जगदीश प्रसाद मण्‍डल
श्‍यामानन्‍द चौधरी।

अंतमे अध्‍यक्षीय भाषण तथा धन्‍यवाद ज्ञापन।  

No comments:

Post a Comment